रविवार, 27 अप्रैल 2014


यौ  बाबू
-------

बहि त गेल छी जिंदगी में ,मुदा घुरब कोना
कमला त सदैव बहैत रहती,मुदा देखब कोना

 इ बेंटली ,इ ऑडी ,इ मोनोरेल  त  भेटत
मुदा उजरा  बरद के घंटी सुनब कोना

रैडिसन ,लीला ,हिलटन  में सब किछु भेटत
मुदा  दाई  के हाथ  के बगिया भेटत कोना

 श्रेया , सुनिधि ,मीका  त  सब  किछु  सुनाओत
मुदा  महिसवार   के  गीत  सुनब  कोना


एस्सेलवर्ल्ड ,फन्तासीलैंड ,मजिक्टौन  त  घूमब
मुदा  लतामक  गाछ  पर  चढ़ब  कोना

अंकल , आंटी ,दादाजी ,दादीजी  सब  मुस्कुराएत
मुदा  काका  के  बिगड़ाई  सुनब  कोना

करीना , दीपिका , आलिया ,हेमा  सब  के  देखब
मुदा  घोघ  में  नुकाएल  भौजी  देखब  कोना

कोकाकोला , ठंडाई  , शराब  , बियर  सबटा  भेटत
मुदा  काकीमौसी  के  हाथक  बेलक  शरबत भेटत  कोना

प्रॉन , पैम्फलेट, आर आंध्रा ता खूब खाइत छी
मुदा  पोखैर महक कवई  भेटत  कोना

एसी ,कूलर ,फ्रिज  त  खूब  ठंडा राखत
मुदा पछवा  हवा  के झोंक  भेटत कोना

बाउ  यौ  ! संखमरमर  त  देने छियै  घर में
मुदा  पुबरिया  घरक माटिक सुगंध भेटत कोना

निगमबोध घाट  त  भेट  जाएत
मुदा  बाबाक  सारा  कात  में  सुतब  कोना


एस के झा