यौ बाबू
-------
बहि त गेल छी जिंदगी में ,मुदा घुरब कोना
कमला त सदैव बहैत रहती,मुदा देखब कोना
इ बेंटली ,इ ऑडी ,इ मोनोरेल त भेटत
मुदा उजरा बरद के घंटी सुनब कोना
रैडिसन ,लीला ,हिलटन में सब किछु भेटत
मुदा दाई के हाथ के बगिया भेटत कोना
श्रेया , सुनिधि ,मीका त सब किछु सुनाओत
मुदा महिसवार के गीत सुनब कोना
एस्सेलवर्ल्ड ,फन्तासीलैंड ,मजिक्टौन त घूमब
मुदा लतामक गाछ पर चढ़ब कोना
अंकल , आंटी ,दादाजी ,दादीजी सब मुस्कुराएत
मुदा काका के बिगड़ाई सुनब कोना
करीना , दीपिका , आलिया ,हेमा सब के देखब
मुदा घोघ में नुकाएल भौजी देखब कोना
कोकाकोला , ठंडाई , शराब , बियर सबटा भेटत
मुदा काकीमौसी के हाथक बेलक शरबत भेटत कोना
प्रॉन , पैम्फलेट, आर आंध्रा ता खूब खाइत छी
मुदा पोखैर महक कवई भेटत कोना
एसी ,कूलर ,फ्रिज त खूब ठंडा राखत
मुदा पछवा हवा के झोंक भेटत कोना
बाउ यौ ! संखमरमर त देने छियै घर में
मुदा पुबरिया घरक माटिक सुगंध भेटत कोना
निगमबोध घाट त भेट जाएत
मुदा बाबाक सारा कात में सुतब कोना
एस के झा
Looking to publish Online Books, in Ebook and paperback version, publish book with best
जवाब देंहटाएंfree Ebook publisher India|ISBN for self Publisher